top of page
Search

चि.रविशंकर एवं सौ.मुस्कान

  • rajaramdsingh
  • Dec 24, 2023
  • 2 min read

शुभेच्छा - पत्र

************

चि.रविशंकर एवं सौ.मुस्कान

आजुक क्षण अति विशिष्ट अछि ज़ब अपने दुनू स्वागत मंगल कय मधुर गान आ अभिनन्दन रूपी वंदन सँ मन प्राण कय पुलकित करैत पावन -परिणय कय पवित्र बंधन में बंधि नव-दाम्पत्य कय शुरुआत करय जा रहल छी। अपने दुनू गोटे कय परिणय -सूत्र में बंधला सँ जे दु परिवार कय रिश्तेदार बनबाक़ सुधि प्राप्त भेलई यै ताहि लेल श्री चरणों में सादर नमन करैत बिहार मित्र मण्डल, नवी मुंबई कय प्रांगण में आयोजित प्रीतिभोजक शुभ अवसर पर शुभाशीष दैत कहब ...

पावन-परिणय मंगलमय होबय,

सभ लोकनि कय अछि भावना।

द रहल छी नव दामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


मिलय अपनेक जीवन में

ख़ुशी कय इंद्रधनुषी रंग,

आशीष दैथ सिद्धि- विनायक

भनल रहे एक दोसर कय संग।

सातों वचन शादी कय निभाबी

करैत छी अंतर्रात्मा सँ कामना,

द रहल छी नव दामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


मुंबादेवी सँ आशीष भेटय

साईंबाबा दैथ सदा सम्मान ,

कृपा करैथ महालक्ष्मी

दैथ सरस्वती अद्भुद ज्ञान ।

स्वीकार करु हमर सभक

मन भावन मंगल भावना ,

द रहल छी नव दामपत्य कय

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


जन्म-जन्मान्तर कय रिश्ता बनल

रहे फुलवारी हरल-भरल,

अगाध प्रेम प्यार - पूजा सँ

विश्वासक बाग़ रहे हरपल सजल ।

दूधो नहाउ पुतो फलु

ह्रदय तल सँ अछि मंगल क़ामना ,

द रहल छी नव दामपत्य कय

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


सदा रहू चिरंजीवी रविशंकर

मुस्कान कय अमर सुहाग रहय ,

सफलता चुमय कदम अपनेक

प्रगती पथ प्रशस्त होबय ।

सगा सम्बन्धी शुभचिंतक सभ

करै छैथ दिल सँ कामना,

द रहल छी नव दामपत्य कय

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


विवाहोत्सव कय अनंत शुभकामनाक संग

हम छी

गीता एवं राजाराम रघुवंशी

नवी मुंबई

पावन-परिणय : 08 दिसंबर 2023

 
 
 

Recent Posts

See All
छठ पूजा

आसुरी शक्ति के संहार के बाद , रवाना हुए जन्मभूमि वर्षों बाद । होकर सवार पुष्पक विमान में , आए अयोध्या अपनों के साथ ।। कहे राम कुल ...

 
 
 

Kommentarer


bottom of page