top of page
Search

चि. शशांक संग प्रिया, शुभेच्छा-पत्र

  • rajaramdsingh
  • Dec 15, 2023
  • 1 min read

चि. शशांक एवं प्रिया

आजुक क्षण अति विशिष्ट अछि ज़ब अपने दुनू स्वागत मंगल कय मधुर गान आ अभिनन्दन रूपी वंदन सँ मन प्राण कय पुलकित करैत पावन -परिणय कय पवित्र बंधन में बंधि नव-दाम्पत्य जीवन कय शुरुआत करय जा रहल छी। अपने दुनू गोटे कय परिणय -सूत्र में बंधला सँ जे दु टा परिवार कय रिश्तेदार बनबाक़ सौभाग्य प्राप्त भेलईयै ताहि लेल श्री चरणों में सादर नमन करैत कहई छी कि ....


पावन-परिणय मंगलमय हो ,

सभ लोकनिक अछि भावना ।

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


मिलय अपनेक जीवन में ,

ख़ुशीक इंद्रधनुषी रंग,

आशीष दैथ विनायक

मिलै एक दोसर कय सदैव संग ,

सातों वचन निभायब ,

करैत छी मंगल कामना

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


कुलदेवी सँ आशीष भेटय

सरस्वती दैथ अद्भुद ज्ञान ,

कृपा करैथ माता लक्ष्मी,

महादेव दैथ मान-सम्मान।

स्वीकार करु हमऱ सभक ,

मनभावन मंगल भावना ,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


जन्म-जन्मान्तर कय रिश्ता बनल ,

एक दोसर कय साथ भनल ,

अगाध प्रेम प्यार-पूजा सँ ,

रहै विश्वासक बाग़ सजल ।

दूधो नहाउ पुतो फलु ,

ह्रदय तल सँ अछि क़ामना ,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


सदा रहू चिरंजीवी शशांक

प्रिया कय अमर सुहाग रहय ,

सफलता चुमय कदम अपनेक

प्रगती पथ प्रशस्त होबय ।

सगा-सम्बन्धी सभ शुभचिंतक ,

करैत छी दिल सँ कामना,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


विवाहक अनंत शुभकामनाक संग

हम छी

गीता एवं राजाराम रघुवंशी

नवी मुंबई

: पावन-परिणय :

08 दिसंबर 2023

 
 
 

Recent Posts

See All
छठपूजा शुभकामना

चार दिवसीय एक ऐसा त्यौहार जहां कोई दंगा नहीं होता, इंटरनेट कनेक्शन नहीं काटे जाते, किसी शांति समिति की बैठक कराने की जरुरत नहीं पड़ती, औरतों के साथ छेड़ छाड़ नहीं होता , चंदे के नाम पर गुंडा गर्दी नहीं

 
 
 
कैसे मनाएं हम नववर्ष

मनाने दें खा पीकर पश्चिमी देश वासियों को हर्ष । ठिठुर रही हैं भारत माता , कैसे मनाएं हम नववर्ष ।। धरा कांपती शीत लहर से , स्कूल बंद है इसके कहर से । चलती नहीं समय से ट्रेन , भर

 
 
 
बेटियों का जीवन सँवारो

बेटियां तुमने इतिहास रचकर , बढ़ाई है भारत की शान । महिला विश्वकप अपने नाम कर , साबित कर दी तू है जग में महान ।। करता हूं तेरा वंदन अभिनंदन , घी के दीप जलाता हूं । बसता है तेरे दिल में तिरंगा , गीत खु

 
 
 

Comments


bottom of page