top of page
Search

चि. शशांक संग प्रिया, शुभेच्छा-पत्र

  • rajaramdsingh
  • Dec 15, 2023
  • 1 min read

चि. शशांक एवं प्रिया

आजुक क्षण अति विशिष्ट अछि ज़ब अपने दुनू स्वागत मंगल कय मधुर गान आ अभिनन्दन रूपी वंदन सँ मन प्राण कय पुलकित करैत पावन -परिणय कय पवित्र बंधन में बंधि नव-दाम्पत्य जीवन कय शुरुआत करय जा रहल छी। अपने दुनू गोटे कय परिणय -सूत्र में बंधला सँ जे दु टा परिवार कय रिश्तेदार बनबाक़ सौभाग्य प्राप्त भेलईयै ताहि लेल श्री चरणों में सादर नमन करैत कहई छी कि ....


पावन-परिणय मंगलमय हो ,

सभ लोकनिक अछि भावना ।

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


मिलय अपनेक जीवन में ,

ख़ुशीक इंद्रधनुषी रंग,

आशीष दैथ विनायक

मिलै एक दोसर कय सदैव संग ,

सातों वचन निभायब ,

करैत छी मंगल कामना

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


कुलदेवी सँ आशीष भेटय

सरस्वती दैथ अद्भुद ज्ञान ,

कृपा करैथ माता लक्ष्मी,

महादेव दैथ मान-सम्मान।

स्वीकार करु हमऱ सभक ,

मनभावन मंगल भावना ,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


जन्म-जन्मान्तर कय रिश्ता बनल ,

एक दोसर कय साथ भनल ,

अगाध प्रेम प्यार-पूजा सँ ,

रहै विश्वासक बाग़ सजल ।

दूधो नहाउ पुतो फलु ,

ह्रदय तल सँ अछि क़ामना ,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


सदा रहू चिरंजीवी शशांक

प्रिया कय अमर सुहाग रहय ,

सफलता चुमय कदम अपनेक

प्रगती पथ प्रशस्त होबय ।

सगा-सम्बन्धी सभ शुभचिंतक ,

करैत छी दिल सँ कामना,

द रहल छी नवदामपत्य कय ,

अशेष मंगलमय शुभकामना ।।


विवाहक अनंत शुभकामनाक संग

हम छी

गीता एवं राजाराम रघुवंशी

नवी मुंबई

: पावन-परिणय :

08 दिसंबर 2023

 
 
 

Recent Posts

See All
छठ पूजा

आसुरी शक्ति के संहार के बाद , रवाना हुए जन्मभूमि वर्षों बाद । होकर सवार पुष्पक विमान में , आए अयोध्या अपनों के साथ ।। कहे राम कुल ...

 
 
 

Comentarios


bottom of page